बि‍हार मे मोदीक कोन जरूरत : सुषमा

पटना। लोकसभा मे नेता प्रतिपक्ष सुषमा स्वराज बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए जादूगर करार दैत कहलथि अछि जे राज्य मे नीतीश क नेतृत्व मे जे बदलाव भेल ओ कोनो जादूगर करि सकैत अछि। गठबंधन सवाल पर कहलथि जे भाजपा आ जनता दल (युनाइटेड) दूटा राजनीतिक दल अछि जेकरा मे गठबंधन अछि। दूनू क विचार अगर एक रहिते द दूटा दल हेबाक कोन जरूरत छल, जखने दूटा दल अछि सबटा विचार मिल जाए इ जरूरी नहि, ताहि लेल हम सब सरकार एकटा साझा कार्यक्रम क तहत चलबैत छी, जाहि मे ओ हमरा सब कए कोनो मतभेद नहि अछि।
स्वाराज साफ कहलथि जे सबटा बिमारीक एकटा दवाई नहि होइत अछि, एकटा खिलाडी सबटा खेल मे नहि जीत सकैत अछि, तहिना एकटा नेता क जादू सब ठाम नहि चलि सकैत अछि। गुजरात मे अगर मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी क जादू चलैत अछि त बिहार मे जादूगर नीतीश कुमार आओर सुशील मोदी छथि। एहि स्थिति मे नरेन्द्र मोदी कए बिहार मे की आवश्यकता।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments