बिहार 24,000 करोड़ टकाक बजट प्रारूप केंद्र कए पठेलक

पटना। बिहार सरकार वित्त वर्ष 2011-12 क लेल कुल 24 हजार करोड़ टकाक योजना प्रारूप योजना आयोग कए मंजूरी क लेल पठा देलक अछि। एहि मे कुल 600टा योजना शामिल कैल गेल अछि।
मुख्यमंत्री सचिवालय क अनुसार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया क बीच 15 फरवरी कए प्रस्तावित बैठक मे एकरा अंतिम रूप देल जा सकैत अछि।
उल्लेखनीय अछि जे पिछला सप्ताह मुख्यमंत्री अपन दिल्ली प्रवासक दौरान योजना आयोग क उपाध्यक्ष स भेंट केने छलाह।
योजना आयोग राज्य सरकार स अगिला वित्त वर्ष क योजना बजट 18,800 करोड़ अका रखबा लेल कहने छल, मुदा मुख्यमंत्री एकरा लेल तैयार नहि छथि। मुख्यमंत्री क कहब अछि जे यदि केंद्र सरकार प्रारूप कए मंजूर नहि देत त राज्य सरकार खुद संसाधन जुटा लेत।
एकटा अधिकारी कहला जे एहि बेर सरकार कुल योजना बजट क सामाजिक क्षेत्र मे सबस बेसी 35 प्रतिशत राशि खर्च करत, जखनकि सड़क यातायात पर 24 प्रतिशत राशि खर्च करबाक योजना बनाउल गेल अछि।
योजना प्रारूप कए अगर मंजूरी भेटल गेल त बिहार क लेल इ एहन धरिक सबस पैघ योजना आकार होएत। वर्तमान वित्त वर्ष मे बिहार सरकार क योजना आकार 20 हजार करोड़ अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.