बिहार स नहि जा रहल अछि जगन्नाथ-लालू राज

नई दिल्ली। बिहार मे सत्ता पर जरूर नीतीश कुमार क कब्जा भ गेल अछि, मुदा एकटा क्षेत्र एहन अछि जाहि मे बिहार एखनो जगन्नथ- लालू राज स बाहर नहि निकली पाबि रहल अछि। बिहार देश क असगर एहन राज्य अछि, जहि ठाम महिला कए एखनो औसतन साढ़े तीन स बेसी बच्चा पैदा भ रहल अछि, जखनकि राष्ट्रीय स्तर पर प्रजनन दर (टीएफआर) 0.1 अंक आओर घटि कए 2.4 पर पहुंच गेल अछि। बच्चा पैदा करबाक रफ्तार मे बिहार एक बेर फेर अव्वल भ गेल। बिहार कए पिछला किछु साल मे बहुत एहन ताज भेटल अछि जाहि मे ओ देश मे अपना कए सबस आगू रखलक अछि, मुदा एहि मामला मे बिहार सेहो आइ कहैत अछि जे नहि चाही इ ताज। कोनो विकासशील राज्य लेल एहि ताज कए राखब सामर्थ नहि होइत अछि। मुदा इ कटू सत्य अछि जे बीमारू स विकाशसील राज्य बनि चुकल बिहार मे एखनो सबस बेची बच्चा पैदा होइत अछि। पंजाब, पश्चिम बंगाल, दिल्ली आ हिमाचल सहित कुल दसटा राज्य 2.1 बच्च क औसत क राष्ट्रीय लक्ष्य कए हासिल क लेलक अछि। राष्ट्रीय स्तर पर हम देर स सही मुदा प्रजनन दर क लक्ष्य क करीब पहुंच रहल छी। भारत क महापंजीयक (आरजीआई) दिस स जारी आंकड़ा मे ताजा प्रजनन दर घटि कए 2.4 भ गेल अछिै। यानी भारतीय महिला एखनो अपन जीवन काल मे औसतन 2.4टा बच्चा पैदा क रहल छथि। इ अध्ययन वर्ष 2011 तक क अछि। एहि स एक साल पहिने तक इ दर 2.5 अंक छल। राष्ट्रीय जनसंख्या नीति क मुताबिक वर्ष 2010 तक हमरा सब कए 2.1 बच्चा क औसत तक पहुंच जेबाक छल। दसटा राज्य आंध्र प्रदेश, दिल्ली, हिमाचल प्रदेश, जम्मू-कश्मीर, कर्नाटक, केरल, महाराष्ट्र, पंजाब, तमिलनाडु और पश्चिम बंगाल इ लक्ष्य हासिल क लेलक अछि। उत्तर प्रदेश बिहार क कतार मे अछि बिहार (3.6), उत्तर प्रदेश (3.4), मध्य प्रदेश (3.1) आ राजस्थान (3) क स्थिति पर अछि। तमिलनाडु आ पश्चिम बंगाल दूनू 1.7 क दर स सबस नींचा अछि। हालांकि बिहार क लोक एहि समाद स संतोष क सकैत छी जे पिछला पांच साल मे एहि ठाम तेजी स एहि पर काबू कैल जा रहल अछि। राज्य मे वर्ष 2006 मे जतए प्रजनन दर 4.2 छल, ओतहि एखन 0.6 अंक घटि कए 3.6 भ गेल अछि। जखन कि राष्ट्रीय स्तर पर एहि दौरान महज 0.4 अंक क कमी दर्ज कैल गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.