बिहार स घटल मजदूर क पलायन

पटना। बिहार मे श्रम पर कैल जा रहल एकटा सर्वे स इ संकेत भेटल अछि जे राज्य स आजीविका लेल श्रमिक क पलायन घटल अछि। इ कमी पूर्व क 30 प्रतिशत अनुमान स बहुत बेसी अछि। इ सर्वे श्रम विभाग, एएन सिन्हा इंस्टिट्यूट आफ सोशल स्टडीज आ गैर सरकारी संगठन सब संयुक्‍त रूप स केलक अछि। शुरुआती रिपोर्ट क अनुसार राज्य मे खास क सहरसा, मधुबनी, कटिहार आ पूर्णिया जिला स मजदूर क पलायन मे उल्लेखनीय कमी आयल अछि। पूर्व मे इ क्षेत्र पैघ पैमाना पर पलायन लेल जानल जाइत छल। बिहार क श्रम मंत्री जनार्दन सिंह सिगरीवाल एहि संबंध मे कहला अछि जे इ राज्य स श्रमिक क पलायन मे पैघ पैमाना पर गिरावट क संकेत दैत अछि। पूर्व मे कैल गेल सर्वे मे सेहो इ गप सामने आयल छल जे राज्य स पलायन करने वाले मजदूरों की संख्या में 30 प्रतिशत तक की कमी आई है।
सिगरीवाल कहला जे रिपोर्ट दू मास मे आबि सकैत अछि। मंत्री कहला जे बिहार स पंजाब, गुजरात, दिल्ली, महाराष्ट्र आ सन राज्‍य मे काज लेल जेनिहार श्रमिक क संख्या मे कमी क प्रमुख कारण राज्य मे पैघ पैमाना पर बुनियादी ढांचा क्षेत्र मे भ रहल काज अछि। एकर कारण स लोक कए राज्‍य मे रोजगार भेट रहल अछि। मजदूरी लेल आब बिहार स बाहर जेबाक मजबूरी कम भेल जा रहल अछि। एकटा सवाल क जवाब मे मंत्री कहलथि जे स्कूल आ कालेज क बुनियादी ढांचा मे सुधार स कक्षा मे उपस्थिति बढल अछि आ पढ़ाई लेल छात्र क राज्य स बाहर जेबाक गति धीमा भेल अछि। बिहार स मजदूर क पलायन कम भेलाक सबस पैघ सबूत इ अछि जे आन राज्‍य मे श्रमिक क कमी महसूस कैल जा रहल अछि। एकटा रिपोर्ट क मुताबिक लुधियाना मे साइकिल उद्योग बिहार स अवनिहार मजदूर पर निर्भर अछि। एखन ओहि ठाम कर्मचारी क 50 प्रतिशत तक कमी भ गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments