बिहार सशस्त्र महिला सैन्य पुलिस मे शामिल भेलीह 580टा रंगरुट

पटना। पटना क ऐतिहासिक गांधी मैदान मे पासिंग आउट परेड क संगहि बिहार क पहिल सशस्त्र महिला सैन्य पुलिस क 580टा रंगरूट सेवा मे शामिल भ गलीह।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ऐतिहासिक गांधी मैदान मे आयोजित रंगारंग पासिंग आउट परेड क सलामी लेलथि आ बिहार महिला सैन्य पुलिस क नवकी रंगरुट कए हुनकर सफल भविष्य लेल शुभकामना देलथि।
बिहार महिला सैन्य पुलिस राज्य मे पहिल बेर महिला रंगरुट स युक्त प्रथम बटालियन अछि आ रोहतास जिला क बैदा मे स्थापित महिला बटालियन प्रशिक्षण संस्थान मे हिनकर प्रशिक्षण कार्य पूरा कैल गेल अछि। 14 मास क प्रशिक्षण मे महिला रंगरुट कए एसएलआर, इंसास, ग्रेनेड आदि चलेबाक गुर सिखाउल गेल अछि।
बिहार सैन्य पुलिस (बीएमपी) क अनुसार नवनियुक्त महिला बटालियन मे 44टा पोस्ट ग्रेजुएट आ 220टा स्नातक तक क शैक्षिक योग्यताधारक छथि। एकटा बटालियन मे कुल छहटा कंपनी क गठन भेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे पंचायत स्तर पर सबटा पद मे महिला कए 50 फीसदी आरक्षण आ बालिका सब कए साइकिल वितरण क बाद बीएमपी कए अलग स महिला बटालियन क गठन राज्यल मे महिला सशक्तीपकरण क दिशा मे एकटा आओर डेग अछि । ओ कहला जे अलग बीएमपी महिला बटालियन क गठन क निर्णय छह वर्ष पुरान अछि जे आब पूरा भ जमीन पर देखा रहल अछि। बिहार पुलिस क इतिहास मे इ मील क पाथर साबित होएत। ओ खुशी जतौलाह जे एहि बटालियन मे उच्च शैक्षिक योग्यता रखनिहारि रंगरुट सब छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments