एएमयू केन्द्र क लेल किशनगंज में सौ एकड़ भूमि देलक बिहार सरकार

पटना। बिहार सरकार राज्य क किशनगंज जिला मे अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय क विस्तार केन्द्र खोलबा लेल एहि केन्द्रीय विश्वविद्यालय कए 100 एकड़ भूमि देबाक निर्णय लेलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विश्वविद्यालय क कुलपति पीके अब्दुल अजीज कए आइ एकटा पत्र लिखकए कहलथि जे हुनका एहि गपक खुशी अछि जे विश्वविद्यालय किशनगंज जिला मे अपन विस्तार केन्द्र स्थापित करय चाहैत अछि। ओ कहलथि जे केन्द्र क स्थापना क लेल बिहार सरकार विश्वविद्यालय कए 100 एकड़ भूमि मुफ्त उपलब्ध करेबाक निर्णय लेलक अछि। ओ कहलथि जे विस्तार केन्द्र क स्थापना स एहि मुस्लिम बाहुल्य जिला क गरीब छात्र कए जतय उच्च शिक्षा प्राप्त करबा में सुविधा भेटत, ओतहि जिला कए ‘एजूकेशन हबÓ बनेबा में सेहो मदद भेटत। मुख्यमंत्री कुमार समाद स आशा जतौउलथि जे केन्द्र क स्थापना क लेल विश्वविद्यालय प्रशासन शीघ्र कार्रवाई करत, जाहि स एकर जल्द स जल्द स्थापना भ सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.