बिहार सरकार क लापरवाही स टूटल कोसी तटबंध


पटना। बिहार क प्रधान महालेखाकार (पीएजी) 2008 मे कोसी नदी क तटबंध टूटबाक लेल राज्य सरकार कए कसूरवार बतेलक अछि। तटबंध टूटबा स आएल भीषण बाढ़ स राज्य मे कईटा जिला क लाखों लोक बेघर भ गेल छल आ अनगिनत लोक मारल गेल छल। पीएजी अपन रिपोर्ट मे कहलथि जे बिहार क जल संसाधन विभाग संरक्षण काज मे तत्परता मे कमी दिखेलक, जेकर कारण 2008 मे नेपाल क कुसहा मे कोसी क बांध मे दरार आएल छल। नियंत्रक और महालेखा परीक्षक (कैग) क अंदर अबै वाला पीएजी ऑफिस अपन रिपोर्ट मे कहलथि जे जल संसाधन विभाग बांध प्रभाग आ वीरपुर क पूर्वी कोसी तटबंध प्रभाग क ओ प्रस्ताव कए स्वीकार नहि केलक, जेहि मे कमजोर बांध क बचाव क गप कहल गेल छल। एहि मे 2008 क बाढ़ मे बहि गेल बांध सेहो शामिल छल। बांध कए दुरुस्त करबाक बजाए विभाग निर्माण काज कए 11 टा जगह स समेट करि 12.8 किलोमीटर स 13.6 किलोमीटर क बीच केवल पांच टा जगह करि देलक आ ग्रामीण इलाका मे बांध क मरम्मत करबाक विचार नहि केलक।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments