बिहार विकास मॉडल स ब्रिटेन सेहो चकित


पटना। अमेरिका क बाद आब ब्रिटेन कए सेहो बिहार क विकास दर अपना दिस आकर्षित करि रहल अछि। अमेरिकी राजदूत क बाद आब ब्रिटिश उच्चायुक्त रिचर्ड स्टैग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट करबा लेल पटना पहुंचलाह। ओ बिहार क विकास दर आ एहि ठामक कानून-व्यवस्था कए देखिकए नीतीश सरकार सहित बिहारक आम लोकक जमिकए सराहना केलथि। ओ बिहार क विकास दर कए आश्चर्यजनक बतौलथि। स्टैग त्रिस्तरीत पंचायत चुनाव आ नगर निकाय चुनाव मे महिला कए देल गेल 50 फीसदी आरक्षण कए सराहना केलथि। रिचर्ड स्टैग कहला जे ओ ब्रिटेन लौटलाक बाद ओहि ठामक निवेशक कए बिहार मे निवेश क लेल प्रोत्साहित करताह।
ओ कहला जे डीएफआईडी नगर विकास, ई-गवर्नेंस, प्रशासनिक सुधार आ स्वास्थ्य क क्षेत्र मे विकास क लेल 450 करोड़ टकाक सहायता देत। एहि बैठक मे ब्रिटिश उच्चायुक्त क सचिव प्रिया गुहा समेत कईटा वरीय अधिकारी मौजूद छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments