बिहार वन अकादमी क स्थापना क प्रस्ताव

पटना । विधानसभा मे पेश भेल आम बजट मे सरकार नव पहल करैत गया मे बिहार वन अकादमी क स्थापना करबाक प्रसताव देलक अछि। पटना मे पांच ठाम ध्वनि क स्तर क मूल्यांकन लेल अनुश्रवण यंत्र स्थापित कैल जाएत। एकर संगहि वर्ष 2012-13 मे रोहतास आ मुंगेर मे नव अभियंत्रण महाविद्यालय, जमुई, सुपौल आ कैमूर मे नव पोलिटेक्निक संस्थान, पावापुरी आ बेतिया मे मेडिकल कॉलेज क अलावा राज्य मे छहटा नर्सिंग कॉलेज खोलबाक प्रस्ताव अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments