बिहार लेल 531 करोड़

नई दिल्‍ली। योजना आयोग बिहार लेल 531 करोड़ टका क परियोजना कए मंजूरी देलक अछि। इ परियोजना उदरस्थान बैराज आ ओहि स जुडल अन्य कार्यक्रम स संबंधित अछि। वर्ष 2013-14 मे इ योजना सब पूरा होएत। योजना आयोग द्वारा जारी विज्ञप्ति क अनुसार बिहार सरकार कए एहि योजना स भेल विस्थापित क पुनर्वास कार्य कए सुनिश्चित करबाक अछि। राज्य क वित्त विभाग कए योजना आयोग द्वारा मंजूर खर्च तक सीमित रहबाक अछि। अगर कोनो अतिरिक्त खर्च भेल त एकरा लेल संशोधित अनुमान क मंजूरी लेब जरूरी होएत। एहि परियोजना क लेखा 31 मार्च 2014 तक समाप्त भ जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments