बिहार लिखत विकासक नव कथा: नीतीश

0
9
esamaad maithili newspaper

राजगीर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे नव साल मे बिहार मे विकास क नव कथा लिखल जाएत। राजगीर क किला मैदान मे तीन दिवसीय राजगीर महोत्सव क उद्घाटन करैत नीतीश कहला जे नव साल मे बिहार मे विकास क नव कथा लिखल जाएत।
नीतीश कहला जे बिहार क तरक्की आ उन्नति करब हमर दायित्व छी आओर जल्द बिहार विकास मे तेजी स आगू बढ़त ताकि एहि प्रदेश क लोक अपन कर्म स बिहारी होएथि। राजगीर महोत्सव क जिक्र करैत ओ कहला जे एहि महोत्सव कए आओर विकसित कैल जाएत आ राजगीर दुनिया क नक्शा पर फेर आनल जाएत, एकरा लेल विशेष प्रयास कैल जा रहल अछि।
राजगीर क ऐतिहासिक महत्ता पर प्रकाश दैत नीतीश कहला जे इ स्थल सूफी-संत क स्थली अछि एहि ठाम स शांति क संदेश पूरा दुनिया मे गेल। नीतीश लोक स एहि ठामक महत्व कए जानबाक आ संत क मार्ग पर चलबाक प्रेरणा लेबाक अपील केलथि। ओ नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क जिक्र करैत कहला जे इ विश्वविद्यालय शीघ्र अस्तित्व मे आबि जाएत आओर कहला जे ओ एकरा लेल नई दिल्ली जाकए प्रधानमंत्री स भेंट करताह।
प्रदेश मे शिक्षा क्षेत्र क विकास क लेल अपन सरकार द्वारा कैल जा रहल प्रयास क चर्चा करैत नीतीश कहला जे वर्ग एक स लकए नवम वर्ग तक क बच्चा कए ड्रेस देल जा रहल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page