बिहार रखलक इस्टर्न इकोनामिक कारीडोर बनेबाक प्रस्‍ताव

पटना। योजना आयोग क बैठक मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार इस्टर्न इकोनामिक कारीडोर आ नवीन नेपाल पहल क गप प्रमुखता स उठेलथि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार लैंड लाक्ड राज्य अछि। अगर हम बख्तियारपुर क लग मे गंगा नदी पर बनि रहल पुल क माध्यम स नेपाल सीमा पर स्थित रक्सौल आ उड़ीसा क पारादीपतक इस्टर्न इकोनामिक कारीडोर क व्यवस्था करि सकीत एहि स बिहार, झारखंड आओर ओडिशा क अर्थव्यवस्था पर नीक असर पड़त। योजना आयोग कए एहि संबंध मे गंभीरता स विचार करबाक जरूरत अछि। एकर अतिरिक्त बिहार कए अपन पावर प्लांट क लेल कोयला आ अन्य सामग्री क आयात क लेल एकटा बंदरगाह क सेहो आवश्यकता अछि। एकरा लेल पूर्वी तट पर बंदरगाह बनाउल जा सकैत अछि, एहि लेल बिहार निवेश करबा लेल तैयार अछि। मुख्यमंत्री बैठक मे नवीन नेपाल पहल क सेहो गप केलथि। ओ कहला जे बिहार मे जल प्रबंधन क समस्या क सूत्र बाहर स जुडल अछि। राजनैतिक, अस्थिर परिस्थिति क बावजूद पारिस्थितिक आ आर्थिक दृष्टिकोण स इ समस्या क त्वरित समाधान तकबा लेल आवश्यक पहल हेबाक चाही, ताकि नेपाल स आबि रहल नदी स हम सिंचाई आ जल विद्युत क क्षमता क अनुरूप दोहन करि सकी। एहि लेल एकटा नवीन नेपाल पहल क शुरुआत हेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments