स्लम-पर्यटन पर नहि गेल रही बिहार : बिल गेट्स

बिहार यात्रा हमरा लेल प्रेरणादायी रहल। हम हिनकर हाल पर आंसू बहेबा या अचंभित हेबा लेल नहि, बल्कि चुनौती क सामने उत्साह आ ऊर्जा क संग ठार एहन समाज कए देखबा मे सफल भेलहुं, जेकरा स हमरा सन तमाम लोक बहुत किछु सीख सकैत अछि.. आओर एहि दौरा स इ हमर पैघ कमाई भेल। – माइक्रोसाफ्ट कारपोरेशन क चेयरमैन बिल गेट्स

समाद स खास गप
नई दिल्ली/खगडिय़ा।
गेट्स बिहार मे आएल बदलाव स अभिभूत छथि। कोसीक धार मे नाव पर समाद स गप करैत ओ कहला, हम ‘स्लम-पर्यटनÓ पर नहि आएल छी। किछु सीखबा लेल एहि ठाम एलहुं अछि।Ó सुदूर गाम क अपन दौरा स लौटलाकबाद पटना मे समाद संग गप मे माइक्रोसाफ्ट कारपोरेशन क चेयरमैन बिल गेट्स कहला-बिहार यात्रा हमरा लेल प्रेरणादायी रहल। हम हिनकर हाल पर आंसू बहेबा या अचंभित हेबा लेल नहि, बल्कि चुनौती क सामने उत्साह आ ऊर्जा क संग ठार एहन समाज कए देखबा मे सफल भेलहुं, जेकरा स हमरा सन तमाम लोक बहुत किछु सीख सकैत अछि.. आओर एहि दौरा स इ हमर पैघ कमाई भेल। एहि ठामक लोक स हम संकट मे खुश रहबाक कला सिखबाक कोशिश केलहुं। विपरित परिस्थिति मे धर्य रखबा कला एहि ठामक लोक मे अद्भुत अछि। हर साल जेना एहि ठाम बाढ़ स सब किछु खत्म भ जाइत अछि आ लोक फेर स नव शुरूआत करैत अछि, इ देखि हम हैरान छी। हम एखन जुझारू समाजक कल्पना तक नहि केने रही।
ओ कहैत छथि जे बिहार कोना बदलल इ कहानी दुनिया भरि क लोक क लेल एकटा उदाहरण भ सकैत अछि। हम लौट कए अपन बच्चा क संग एहि ठामक वीडियो बेर-बेर देखब।
कारपोरेट दुनिया क व्यवस्तता कए छोडि़ लोक क सेहत सुधारबा मे लगबा पर बिल हंसैत कहैत छथि- हम इ कंपनी शुरू केने रही, तखन सोचने नहि रही जे एक दिन बिहार क कोनो गाम मे कोनो मुसहर महिला स ओकर बच्चा क नाम पूछब।
दिल्ली मे समदिया स गप करैत गेट्स कहला जे ओ पहिल बेर कोनो सरकार क संग स्वास्थ्य क क्षेत्र मे सहयोग क लेल समझौता केलथि अछि। एकरा लेल बिहार किया, एहि पर ओ कहैत छथि- विकास क जरूरत बिहार मे बेसी अछि, इ त सब जनैत अछि, मुदा हमर मजबूरी इ अछि जे हम सिर्फ ओतहि काज कए सकैत छी, जतए खुद लोक मे आ प्रशासन मे एकरा लेल ललक हुए। बिहार मे दूनू अछि। बिल गेट्स बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स जेतबे खुश छथि, उत्तरप्रदेश क मुख्यमंत्री मायावती स ओतबे मायूस। ओ कहलथि जे ओ बिहार सरकार क संग सहयोग क लेल समझौता केलथि जखनकि उत्तरप्रदेश सरकार हुनकर पत्रक जवाब तक नहि देलक अछि। ओ कहला जे हमर जीवनक आब इ एकटा लक्ष्य रहत जे एहि समाज कए बेहतर स्वास्थ्य सुविधा क संग-संग किछु आओर द सकी। हमर इ दौरा मील क पत्थर अछि। हम मां आ शिशु क बेहतर स्वास्थ्य क अलावा कालाजार, पोलिया, यक्ष्मा जइसन बीमारी क रोकथाम क लेल सेहो काज करब। राज्य सरकार क परामर्श स आठटा जिला-पटना, बेगूसराय, सहरसा, समस्तीपुर, खगडिय़ा, पूर्वी चंपारण आ गोपालगंज कए मां आ शिशु क बीच काज करबा लेल चुनल गेल अछि, जखनकि बीमारी स लड़बा लेल फाउंडेशन प्रदेश क सबटा 38 जिला मे सक्रिय रहत। ओ एहि क्षेत्र क लेल वर्ष 2015 तक क टारगेट सेहो निर्धारित करि देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ई बड नीक गप जे बिल गेट्स नीतीशजी के निमंत्रण पर बिहारक भ्रमण कयला. पूर्व
    वर्त्ती सरकार के तs विकास सs कोनो सरोकारे नै रहय जेना आई मायावती के उत्तर प्रदेश में चंदा जमा करब आ मूर्ति लगौबा स फ़ुरसति नै छै, त हुनका अनेरे कियैक बजबितन्हि. आब देखबाक गप ई जे गेट्स क गोद लेल गांव कतेक जल्दी कतेक उन्नति करैत अछि. नितीशजी के भरिपोख बधाई.

Comments are closed.