बिहार मे 807 किमी सड़क क होएत कायाकल्प

नई दिल्ली। सरकार नैशनल हाइवेज इंटरकनेक्टिविटी इंप्रूवमेंट प्रोजेक्ट (एनएचआईआईपी) क तहत देश भरिक विभिन्न राष्ट्रीय राजमार्गों क 3,700 किलोमीटर हिस्सा क काया-कल्प करत। एहि परियोजना पर 20,000 करोड़ खर्च हेबाक क उम्मीद अछि। इ परियोजना सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय द्वारा पूरा कैल जाएत। एकर तहत अगिला 3 साल मे 8 राज्य क सड़क कए सिंगल लेन स डबल लेन मे बदलल जाएत। सूत्र क मुताबिक बिहार, हिमाचल प्रदेश, उड़ीसा, उत्तराखंड, कर्नाटक, राजस्थान, पश्चिम बंगाल आ अंडमान निकोबार मे 33टा सडक कए एहि लेल चुनल गेल अछि। विकास क पहिल चरण मे बिहार मे 807 किमी, कर्नाटक मे 667 किमी आ हिमाचल प्रदेश मे 640 किमी सड़क कए काया-कल्प कैल जाएत। मंत्रालय क वरिष्ठ अधिकारी कहला जे एहि परियोजना क लेल 80 फीसदी धनराशि विश्व बैंक देत, शेष धनराशि केंद्र सरकार लगाउत। एहि परियोजना स केंद्रीय सड़क परिवहन मंत्री कमलनाथ द्वारा निर्धारित 20 किमी सड़क प्रति दिन निर्माण क लक्ष्य हासिल करबा मे मदद भेटत। जखन कमलनाथ मंत्रालय संभालने छलाह, ओहि समय सड़क निर्माण क दर 4 किमी प्रति दिन छल, जे कापफी कम छल, मुदा आइ इ 13 किमी प्रति दिन भ गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments