बिहार मे 500 करोड़ क शराब घोटाला

पटना । बिहार मे एहि साल विधानसभा चुनाव अछि। विपक्ष मुद्दा क ताक मे अछि आ सत्ताधारी दल मे घमासान मचल अछि। जदयूक प्रदेश अध्यक्ष ललन सिंह नीतीश स तमसा कए पद स इस्तीफा द देलथि, ओतहि पार्टीक एकटा विधायक आ सरकार मे एकटा मंत्री अपने विभाग मे 500 करोड़ टकाक कथित शराब घोटाला कए आरोप लगा देलथि अछि। एहि स राज्य राजनीति गरमा गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जतय कहला जे उत्पाद घोटाला क सच जल्द सामने आबि जाएत, ओतहि मुद्दा तकबा लेल प्रयासरत विपक्ष एकर जांच सीबीआई स करेबाक संग-संग नीतीश स पद छोड़बा क मांग करि रहल अछि।
राज्यक आबकारी मंत्री जमशेद अशरफ नीतीश कुमार कए पत्र लिख कए कहलथि अछि जे मुख्यमंत्री सचिवालय क आला अधिकारी गैर-कानून तरीका स जेडीयू क एकटा नेता कए चारिटा जिला मे देसी शराब क ठेका द कए 500 करोड़ क फायदा पहुंचेलक अछि। एहन एकटा पत्र मुख्य सचिव कए सेहो लिखल गेल अछि।
अशरफ क एहि पत्र स राजद आ लोजपा कए नीतीश कए घेरबा लेल बैसल ठाम मुद्दा भेट गेल अछि। लालू प्रसाद क कहब अछि जे उत्पाद मंत्री जे सचाई दुनिया क सामने अनलथि अछि ओहि पर अगर मुख्यमंत्री सीबीआई जांच क सिफारिश नहि करैत छथि, त पार्टी एहि मामला कए लकए अदालत आ जनता क बीच जाएत। एहि बीच मुख्यमंत्री कहला जे पत्र मे लागल आरोप अधिकारी पर नहि, हमरा पर लगाउल गेल अछि। हम बिकाऊ नहि छी। दुनिया क कोनो टकसाल हमरा कीन नहि सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments