बिहार मे 20 अप्रैल स पंचायत चुनाव

पटना। बिहार मे पंचायत चुनाव क बिगुल बाजि गेल। पंचायत प्रतिनिधि कए 2 लाख 60 हजार 664 पद पर निर्वाचन क लेल राज्य सरकार 20 अप्रैल स 18 मई क बीच 10 चरण मे चुनाव करेबाक क फैसला केलक अछि।
राज्य मंत्रिपरिषद क बैठक मे एहि स संबंधित प्रस्ताव कए मंजूरी द देल गेल। निर्धारित कार्यक्रम क अनुसार मतदान 20, 24, 27, 30 अप्रैल आओर 3, 6, 9 12, 15 आ 18 मई कए होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments