बिहार मे 16 लाख छात्रा कए भेटत कराटे क प्रशिक्षण

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घोषणा केलथि अछि जे राज्य मे 16 लाख छात्रा कए आत्मसुरक्षा लेल जुडो-कराटे सिखउल जाएत। एहि स लड़की मे उत्साह अछि। बांकीपुर हाई स्कूल क कक्षा आठ क छात्रा रजनी कुमारी कहलीह, ‘इ सरकार क एकटा सकारात्मक पहल अछि।Ó फुलवारीशरीफ क छात्रा शहनाज फारुकी कहलीह, ‘एहि स हमर भीतर परेशानी स निबटबा क आत्मविश्वास आउत।Ó

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments