बिहार मे होएत निवेश आ सलाहकार परिषद क गठन

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राज्य मे निवेश कए प्रोत्साहन देबा लेल बिहार निवेश आ सलाहकार परिषद क गठन कैल जा रहल अछि। एहि संबंध मे अधिसूचना एक-दू दिन क भीतर जारी क देल जाएत। ओ कहला जे परिषद मे देश क प्रमुख उद्योगपति आ अर्थशास्त्री शामिल हेताह। हुनकर सबहक सुझाव क आधार पर बिहार औद्योगिक विकास क विस्तृत योजना तैयार कैल जाएत। मुंबई मे निवेश आयुक्त क कार्यालय क स्थापना होएत।
नीतीश कहला जे सिंगल विंडो एक्ट 2006 क प्रावधान क तहत उद्योग विभाग क प्रधान सचिव क अध्यक्षता मे राज्यस्तरीय समिति क गठन कैल गेल अछि जे राज्य निवेश संवर्धन बोर्ड (एसआईपीबी) क अनुमोदित प्रस्ताव क निगरानी करत। मुख्यमंत्री कहला अछि जे सरकारी नीति क संबंध मे स्पष्टीकरण समिति बनाउल जाएत। समिति जे निर्णय भ चुकल अछि ओकर स्पष्टीकरण क समस्या क समाधान करत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments