बिहार मे स्थापि‍त होएत 14टा नव उद्योग समूह

पटना। बिहार विधानसभा चुनाव मे नीतीश सरकार कए पूर्ण बहुमत भेटला पर उद्योग मंडल एसोचैम सेहो जोश मे आबि‍ गेल अछि‍ आ बि‍हार लेल अपन कईटा योजना कए आगू बढेलक अछि‍। एहन मे तत्‍काल बिहार मे 450 करोड़ टका स कुल 14टा नव उद्योग समूह क स्थापना क गप कहल जा रहल अछि‍। संगहि‍ एसोचैम, बिहार चैंबर ऑफ कामर्स और बिहार इंडस्ट्री एसोसिएशन क सहयोग स अगि‍ला पांच सालक दौरान तीन बिजनेस मार्ट क जरिए चारि‍ लाख करोड़ टका क निवेश क योजना बनाउल गेल अछि‍।
एसोचैम क महासचिव डीएस रावत बिहार मे नीतीश कुमार क नेतृत्व मे बनल नव सरकार कए बधाई दैत कहला जे प्रदेश मे बदलैत माहौल कए देखैत एसोचैम बिहार मे 14टा नव उद्योग समूह क स्थापना क संगि‍ह बिहार चैंबर ऑफ कामर्स और बिहार इंडस्ट्री एसोसिएशन क सहयोग स अगि‍ला पांच साल क दौरान तीन बिजनेज मार्ट क जरिए चारि‍ लाख करोड़ टकाक निवेश क निर्णय लेलक अछि‍। एहि‍ लेल राज्य सरकार क सहयोग अपेक्षित अछि‍।
रावत कहला जे बिहार मे वर्तमान मे 7टा उद्योग समूह मौजूद अछि‍ आ एसोचैम बिहार चैंबर ऑफ कामर्स आ बिहार इंडस्ट्री एसोसिएशन क सहयोग स 14टा नव उद्योग समूह क स्थापना क निर्णय लेल गेल अछि‍।
ओ कहला जे नव उद्योग समूह पटना, दरभंगा, मधुबनी, बरौनी, मुजफ्फरपुर, कटिहार, मधेपुरा, भागलपुर, मुंगेर, नवादा, सुपौल, गया, भोजपुर आ हाजीपुर मे स्थापित कैल जाएत आ एहि‍ मे किए स प्रत्येक उद्योग समूह मे 18 सौ स दू हजार औद्योगिक इकाई होएत आ प्रत्येक इकाई स राज्य सरकार कए करीब 12 प्रतिशत राजस्व क प्राप्ति होएत। रावत कहला जे 450 करोड़ टकाक निवेशवाला इ सबटा प्रस्तावित उद्योग समूह करीब छह लाख गोटे कए परोक्ष आ प्रत्यक्ष रूप स रोजगार मुहैय्या कराउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments