बिहार मे सेहो बनत मेदांता मेडिसिटी

पटना । मेदांता द मेडिसिटी क सीएमडी आ देश क प्रसिद्ध कार्डियोलॉजिस्ट डॉ नेरश त्रेहान कहला अछि जे बहुत जल्‍द बिहार मे सेहो मेदांता मेडिसिटी क निर्माण कैल जाएत। ओ कहला जे बिहार सन राज्‍य मे लोक कए नीक आ सस्‍ता इलाज देबा लेल मेदांता द मेडिसिटी तैयार अछि। ओ कहला जे एकरा लेल दिल्ली मे एकटा प्रोजेक्ट सेहो तैयार कैल गेल अछि। एहि संबंध मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स गप नहि भ सकल अछि। ओ कहला जे बिहार मे लोकक इलाज क संगहि सब तरह क इलाज पद्धति पर शोध सेहो कैल जाएत, ताकि मॉडर्न मेडिसिन आ अपन देश क पूर्व इलाज पद्धति कए मिला कए एक ठाम लोक क इलाज कैल जा सकए। ओ कहला जे लक्ष्य त इ अछि जे भारत पूरा विश्व कए लीड करए मुदा एहि लेल लोक कए स्वस्थ रहब जरूरी अछि। डॉ नेरश त्रेहान कहला अछि जे बिहार क पुरान गरिमा कए मिल कए वापस अनबाक जरूरत अछि। कहियो विश्व क लोक शिक्षा लेल नालंदा अबैत छल।
डॉ त्रेहान कहला जे मेदांता दिस स पहिने पटना मे डायलोग्‍स्टिक सेंटर खोलल जाएत। जाहि ठाम लोक सब तरहक जांच करा सकतथि। बाद मे इ बिहार क सबटा जिला मे खोलल जाएत। ओ कहला जे दिल्ली स पहिल बेर डायलोग्‍स्टिक बस पटना आयल अछि। एहि बस क निर्माण पर दू करोड़ खर्च भेल अछि। एहि मे मेमोग्राफी, अल्ट्रासाउंड, इसीजी, इको, नेफ्रो आ न्यूरो जांच क सेहो व्यवस्था अछि। इ बस मधुबनी, दरभंगा आ छपरा मे पहिने जाएत, जाहि मे चिकित्सक क टीम रहत आ ओ लोकक स्वास्थ्य क जांच करत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments