बिहार मे सुस्त अछि कर्ज बांटबाक रफ्तार : सुब्बाराव

पटना । रिजर्व बैंक क गवर्नर डी सुब्बाराव कहलथि अछि जे बैंक कए बिहार मे कर्ज बांटबाक रफ्तार मे तेज करबाक चाही। पटना मे भेल बैठकक बाद सुब्बाराव कहला जे बिहार मे कर्ज बांटबाक रफ्तार काफी सुस्त अछि आ एहि मे इजाफा करबाक जरूरत अछि। संगहि, बैंक क शाखा मे सेहो इजाफा हेबाक चाही।
सुब्बाराव कहला जे बिहार मे कर्ज-जमा अनुपात (सीडीआर) मात्र 32 फीसदी अछि, जे किकरीब 71 फीसदी क राष्ट्रीय औसत स काफी कम अछि। इ बिहार संग नाइंसाफी अछि। सुब्बाराव कहलथि, सीडीआर मे इजाफा करबा लेल रिजर्व बैंक कोनो लक्ष्य नहि रखलक अछि, मुदा देखू, राज्य मे जमा रकम त अपन गति स बढि़ रह अछि, मुदा कर्ज मे रातोराति इजाफा करब त मुमकिन नहि अछि।
एहि लेल हम मात्र इ कही सकैत छी जे हम एकटा निश्चित अवधि क भीतर सीडीआर कए बढ़ाकए एहन सीमा तक ल आनब जे तर्कसंगत भ सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments