बिहार मे साख जमा अनुपात पहिल बेर गेल 40 प्रतिशत क पार

पटना :  बिहार मे बैंक पर सरकार क सख्ती रंग देखा रहल अछि। बिहार क लोक जे बैंक मे टका रखैत छथि ओहि मे स पैघ हिस्सा आब बिहार पर खर्च भ रहल अछि। राज्य मे पहिल बेर साख जमा अनुपात 40.17 प्रतिशत दर्ज कैल गेल अछि। उप मुख्यमंत्री सह वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदी वित्तीय वर्ष 2013 – 14 क पहिल राज्य स्तरीय बैंकर्स समिति (एसएलबीसी) क 11 मई कए राजगीर मे प्रस्तावति बैसार क तैयारी क समीक्षा बैसार मे कहला जे बैंक मे सरकारी धन राशि जमा करबा लेल राज्य सरकार जे मापदंड निर्धारित केने छल। ओहि नियंत्रण व्यवस्था क नीक परिणाम सामने आबि रहल अछि आ राज्य मे पहिल बेर साख जमा अनुपात 40 प्रतिशत कए पार केलक अछि। मोदी कहला जे वर्ष 2012-13 मे वार्षिक साख योजना (एसीपी) क लक्ष्य 51400 करोड़ टकाक विरुद्ध 44520 करोड़ टका क उपलब्धि रहल अछि, जे लक्ष्य क 86 प्रतिशत अछि। ओ कहला जे वर्ष 2013-14 क लेल वार्षिक साख योजना क लक्ष्य 62 हजार करोड़ निर्धारित कैल गेल अछि। उप मुख्यमंत्री कहला जे राजगीर मे प्रस्तावित एसएलबीसी क बैसार मे बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ केन्द्रीय वित्त मंत्री पी चिदम्बरम क अलावा विभिन्न बैंक क सीएमडी सेहो भाग लेतथि। ओ कहला जे केन्द्रीय वित्त मंत्री क उपस्थिति मे प्रस्तावित एहि बैसार मे बिहार सरकार राज्य मे बैंक स जुड़ल विभिन्न समस्या कए राखत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments