बिहार मे सरकारी नौकरी लेल आब आनलाइन एप्लीकेशन

पटना । इ टाइपराइटर राज्य क बनावटी उपहास स उबरि रहल बिहार क नव उछाल अछि। राज्य सरकार नौकरी क लेल आनलाइन एप्लीकेशन ल रहल अछि। समाज कल्याण विभाग महिला पर्यवेक्षिका क 3034 पद पर नियुक्ति कए आनलाइन केलक अछि। धड़ाधड़ आवेदन आबि रहल अछि। शासन, नव प्रयोग क कामयाबी स उत्साहित अछि। एकरा दोसर विभाग मे सेहो आजमाउल जा सकैत अछि। समाज कल्याण विभाग क प्रधान सचिव विजय कुमार वर्मा क मुताबिक आवेदन मंगबाक परंपरागत व्यवस्था (डाक, काउंटर पर जमा करब) स जुड़ल ढेर शिकायत छल। फार्म भेटब, नहि भेटब अलग समस्या। एतबा धरि कहि देल जाइत छल जे विभाग क स्तर स आवेदन गायब करि देल गेल। डाक विभाग सेहो बदनाम होइत छल। नव पारदर्शी व्यवस्था (आनलाइन एप्लीकेशन) एहि प्रकारक तमाम बदनामी क गुंजाइश कए मारि देलक अछि। आब घर बैसल महिला पर्यवेक्षिका पद क आवेदक भरल जा रहल अछि। डाक या दोसर माध्यम स आयल आवेदन स्वीकार नहि कैल जा रहल अछि। सूत्र क अनुसार फिलहाल महिला पर्यवेक्षिका क 3034 पद रिक्त अछि। एहि स्थिति लेल आंगनबाड़ी केंद्र स जुड़ल शिकायत क मूल मे अछि। बाल विकास परियोजना पदाधिकारी (सीडीपीओ) पर गोलमाल करबाक आरोप लगैत रहल अछि। महिला पर्यवेक्षिका क नियुक्ति क मंशा कमोबेश एहि प्रकारक गड़बड़ी कए रोकब अछि। 544 प्रखंड मे पर्यवेक्षिका क कुल 3288 पद स्वीकृत अछि। मुदा सिर्फ 254 पर्यवेक्षिका कार्यरत छथि। इ नियुक्ति अनुबंध (कांट्रैक्ट) क आधार पर हेबाक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.