बिहार मे शुरू भेल हीरो साइकिल क उत्पादन

बिहटा । बिहटा मे हीरो साइकिल क उत्पादन शुरू भए गेल । हीरो साइकिल्स क संस्थापक आ अध्यक्ष ओपी मुंजाल मंगलदिन अपन 87म जन्मदिन पर फैक्ट्री क उद्धाटन केल‍थि‍ । पंजाब स बाहर गुड़गांव क बाद पटना मे हीरो क इ दोसर पैघ मैन्यूफैक्चरिंग प्लांट अछि । इ फैक्ट्री 7 एकड़ मे अछि । एकर निर्माण पर 45 करोड़ क लागत आयल अछि । एखन दस लाख साइकिल प्रतिवर्ष बनेबाक लक्ष्य अछि । 500 लोक कए एहि स सीधा रोजगार  भेटत । ओपी मुंजाल कहला जे ओ कहियो मुनाफा क लेल उत्पाद क गुणवत्ता स समझौता नहि केलथि‍ अछि ।

वर्ष 1956 मे प्रतिदिन 10 टा साइकिल क निर्माण होइत छल । आई प्रतिदिन 20 हजार भए रहल अछि । हीरो साईकिल्स लिमिटेड क एमडी पंकज मुंजाल कहला  जे एक महिना मे कंपनी कईटा सुविधा स लैसा अलग किस्म क साईकिल बाजार मे आनत ।

 

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments