बिहार मे शीतलहर जारी


पटना। बिहार क अधिकांश इलाका शीतलहर क चपेट मे अछि। शीतलहर आ घना कोहरा क वजह स यातायात सेवा सेहो प्रभावित भ रहल अछि। पटना जिला प्रशासन शीतलहर क वजह स सबटा स्कूल कए दू दिन तक बंद रखबाक आदेश देलक अछि। रविदिन क भोर मे मुजफ्फरपुर जिला मे न्यूनतम तापमान छह डिग्री सेल्सियस रिकॉर्ड कएल गेल, दोसर दिस पूर्णिया आ किशनगंज जिला मे न्यूनतम तापमान सात डिग्री सेल्सियस रिकॉर्ड कएल गेल। मौसम विभाग क एक टा अधिकारी कहलथि जे राज्य मे शीतलहर क प्रकोप आगामी किछु दिन तक जारी रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments