बिहार मे वित्तीय साक्षरता बढेबाक जरूरत : सेबी अध्‍यक्ष

नई दिल्‍ली। बिहार क रहनिहार आ सेबी क अध्यक्ष यूके सिन्हा कहला अछि जे बिहार क लोक आ उद्यमी क पूंजी बाजार मे भागीदारी बहुत कम अछि। एकटा कार्यक्रम मे सिन्हा कहला जे बोर्ड क अध्यक्ष कहला जे बिहार मे वित्तीय साक्षरता आ समावेशन बढेबाक जरूरत अछि। ओ कहला जे शेयर बाजार क प्रति बिहार मे लोक क रुझान बहुत कम अछि। बिहार मे म्युचुअल फंड मे एखनधरि 1509 करोड़ टका क निवेश भेल अछि जे बहुत कम अछि। बिहार मे संपत्ति क प्रबंधन ठीक ढंग स नहि भ रहल अछि। केवल असम आ हिमाचल प्रदेश राज्‍य आइ बिहार स पाछु अछि। सिन्हा कहला जे म्युचुअल फंड क प्रचार एतबा कम अछि जे बिहार मे एखन धरि केवल 24टा कार्यालय खुलल अछि।
प्राइवेट इक्विटी आ वेंचर कैपिटल क हाल सेहो खराब अछि। देश मे द करोड़ डीमैट खाता अछि जाहि मे स बिहार मे केवल 2.7 लाख डीमैट खाता ऑनलाइन ट्रेडिंग लेल खुलल अछि। राज्य मे ब्रोकर निबंधन लेल केवल एकटा कार्यालय कार्यरत अछि जखनकि ब्रोकर टर्मिनस मात्र एक हजार अछि। ब्रोकर टर्मिनस मे राष्ट्रीय औसत क केवल एक प्रतिशत हिस्सा बिहार मे अछि। ओ कहला जे राज्य मे 8700टा कंपनी निबंधित अछि जाहि मे स केवल दटा कंपनी स्टॉक एक्सचेंज मे निबंधित अछि।
आइपीओ मे बिहार क लोक क भागीदारी क इच्छा क उल्लेख करैत सिन्हा कहला जे कोल इंडिया लिमिटेड क आइपीओ मे राज्य मे 12700 आवेदन आयल छल।
सेबी अध्यक्ष कला जे प्राइवेट इक्विटी मे हस्क बिहार सहित बिहार क दटा कंपनी 45 करोड़ टकाक निवेश केलक अछि जखनकि वेंचर कैपिटल मे एखन धरि कोनो निवेश नहि अछि। ओ कहला जे बिहार मे उद्यमी कए पूंजी बाजार क क्षेत्र मे एबाक चाही। राज्य क ‘टेक आफ’ लेल उद्देश्य संबंधी मानदंड स्थापित भ गेल अछि।
ओ कहला जे सेबी नो योर कस्टमर कए व्यापक क रहल अछि जाहि स 15टा पैघ शहर क बाहर म्युचुअल फंड बेचबा पर लोक कए 0.30 प्रतिशत कमीशन भेटत। संगहि सेबी किछु चुनिंदा सुरक्षित निवेश उत्पाद कए बेचबा लेल सेवानिवृत्त बैंककर्मी कए प्रशिक्षण देत। आब छोट शहर क लघु निवेशक कए सेहो आईपीओ निकलबा पर अलाटमेंट भ सकए, सेबी एकरा लेल प्रयासरत अछि।
सिन्हा कहला जे बिहार मे उद्यमी कए केवल बैंक ऋण पर भरोस नहि करबाक चाही बल्कि वेंचर कैपिटल आ प्राइवेट इक्विटी निवेश क दिशा मे सोचबाक चाही। सेबी बंबई स्टॉक एक्सचेंज आ नेशनल स्टॉक एक्सचेंज मे सूक्ष्म लघु आ मध्यम उद्यम लेल ट्रेडिंग प्लेटफार्म तैयार केलक अछि आ बिहार क उद्यमी कए एहि मे निवेश करबाक चाही।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments