बिहार मे लागि सकैत अछि परमाणु बिजली घर : रतन

पटना । बिजली क समस्या स त्रस्त बिहार लेल एकटा सुखद समाद अछि। परमाणु ऊर्जा आयोग क अध्यक्ष डॉ रतन कुमार सिन्हा कहला अछि जे बिहार मे परमाणु बिजली घर लागि सकैत अछि। एहि सिलसिला मे न्यूक्लियर पावर कारपोरेशन लिमिटेड (एनपीसीएल) स गप चलि रहल अछि। शुरुआत भ चुकल अछि बस एकरा आगू बढेबाक जरुरत अछि। जमीन पर हकीकत मे बदलबा मे किछु समय लागि सकैत अछि।
ज्ञात हुए जे पहिल बेर कोनो बिहारी वैज्ञानिक कए परमाणु ऊर्जा आयोग सन राष्ट्रस्तरीय महत्वपूर्ण संस्थान क अध्यक्ष अनाउल गेल अछि। राजधानी क दयानंद उच्च विद्यालय, मीठापुर, साइंस कॉलेज आओर बीसीइ स पढ़ल आओर भागलपुर निवासी श्री सिन्हा कहला जे ओना त परमाणु बिजली घर लगेबाक काज परमाणु ऊर्जा नियामक बोर्ड क अछि मुदा बिहार परमाणु बिजली घर स्‍थापित करबा लेल जे शर्त राखल गेल अछि ओकरा पूरा करैत अछि। बिहार मे एकर असीम संभावना अछि। जल आओर जमीन क उपलब्धता सबस अहम अछि जे बिहार मे अछि। एहन मे ओ दिन दूर नहि जखन बिहार परमाणु ऊर्जा स रोशन होएत।
बिहार मे बदलाव क संदर्भ मे श्री सिन्‍हा कहला जे भारत क प्रगति मे बिहार प्रमुख भूमिका निभा रहल अछि। बिहार क विकास दर सेहो अन्य राज्‍य क तुलना मे आगू अछि। उम्मीद अछि जे इ कायम रहत। ओ कहला जे बिहार मे विकास देखा रहल अछि। पहिने त पटना मे काफी कमी सब छल मुदा पिछला साल जखन पटना गेल रही त पटना काफी बदलल बदलल सन लागल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments