बिहार मे बनत भूजल विनियामक प्राधिकरण

पटना। बिहार सरकार जल संरक्षण आ भूजल क उचित उपयोग सुनिश्चित करबाक लेल भूजल विनियामक प्राधिकरण स्थापित करबाक फैसला लेलक। एकर जानकारी पीएचइडी विभाग स देल गेल। विभाग क मंत्री अश्विनी कुमार चौबे कहला जे भूजल विनियामक प्राधिकरण बिहार जल नीति क हिस्सा अछि, जेकर घोषणा जल्द कएल जाएत। मंत्री कहला जे सतह क पानी क संरक्षण आ भूजल क अधिकतम उपयोग सुनिश्चित करबाक लेल राज्य आ जिला स्तर पर निगरानी समिति क स्थापना करबाक फैसला लेलक। मंत्री इहो कहला जे पीबै क पानी क लेल सर्वोच्च प्राथमिकता विशेषज्ञ स सलाह क बाद सरकार जल नीति मे समझौते करता।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments