बिहार मे बढि रहल अछि सौर ऊर्जा उत्पादित बिजली क बाजार

पटना। बिहार मे मकान क छत पर डीटीएच क छाता क संग संग सोलर प्‍लेट सेहो आब आम होइत जा रहल अछि। बिजली क किल्लत क कारण विकल्प क तौर पर सौर ऊर्जा काफी लोकप्रिय भ रहल अछि। एहि क्षेत्र क कंपनी क कारोबार बढि कए सालाना करीब 35 स 40 करोड़ तक जा पहुंचल अछि। एकटा सामान्‍य घर कए बिजली क मांग क पूर्ति करबा लेल 15 स 17 हजार मे सौर उपकरण बाजार मे उपलब्‍ध अछि। कंपनी लेल बिहार एखन व्यावसायिक दृष्टिकोण स प्राथमिकता सूची मे अछि, किया त शेष भारत मे जेतबा सौर उपकरण बिकाइत अछि ओतबा असगर बिहार, झारखंड आ ओडिशा मे बिका रहल अछि। सौर ऊर्जा कंपनी क कहब अछि जे वर्तमान मे बिहार सरकार एकरा बढ़ावा दिए त एकर काफी विकास भ सकैत अछि। दोसर दिस राज्य क बिजली मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव कहैत छथि जे सौर ऊर्जा लेल जे ‘मैपिंग’ कराउल गेल अछि ओकर अनुसार स राज्य मे सौर ऊर्जा स विद्युत उत्पादन क अपार संभावना अछि। राज्य सरकार सौर ऊर्जा प्रोत्साहन नीति क तहत कई प्रकार क प्रोत्साहन क घोषणा केने अछि। अनुपयोगी जमीन (वेस्टलैंड) पर बिजली सौर ऊर्जा उत्पादन संयंत्र स्थापित करबा लेल सरकार पंजीकरण आ प्रवेश कर कए माफ क देने अछि।
यादव कहला जे सौर ऊर्जा स 250 मेगावाट क बिजली उत्पादन क विभिन्न परियोजना क प्रस्ताव कैबिनेट कए पठाउल गेल अछि जेकरा जल्द मंजूरी भेटत। सौर उर्जा स विद्युत उत्पादन क दिशा ‘मैपिंग’ करनिहार संस्थान ‘वर्ल्ड इंस्टीट्यूट ऑफ सस्टेनेबल एनर्जी’ (वाइज) क अनुसार बिहार भारत क ‘मॉडरेट सोलर रेडिएशन जोन’ मे अबैत अछि। साल भरि मे 280 दिन चमकीला दिन रहैत अछि। वाइज क अनुसार, छोट पैघ उपकरण क अलावा बिजली उत्पादन क एहि ठाम अपार संभावना अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments