बिहार मे बंद होएत विधायक निधि

पटना । बिहार मंत्रिपरिषद क शुक्रदिन भेल बैठक मे विधायक कए देल जा रहल विकास राशि कए बंद करबाक सैद्धांतिक तौर पर निर्णय ल लेल गेल। राज्य मंत्रिपरिषद सचिवालय क सचिव अफजल अमानुल्लाह  बैठक क बाद पत्रकार सब कए कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल मंत्रिपरिषद क बैठक मे विधायक कए प्रतिवर्ष भेटैयवाला एक करोड़ टका क विकास राशि कए बंद करबाक सैद्धांतिक तौर पर निर्णय ल लेल गेल। ओ कहला जे बैठक मे एहि मामला पर सब मंत्री क बीच सहमति देखल गेल। मंत्रिमंडल क अगिला बैठक मे एहि मामला मे कोनो ठोस निर्णय लेल जेबाक संभावना अछि।
उल्लेखनीय अछि जे पिछला दू दिन पहिने मुख्यमंत्री विधायक विकास निधि कए बेवजह बदनामी क जड़ि बतेने छलाह। ओ कहने छलाह जे सब दल क सहमति स एहि निधि क बदला मे कोनो दोसर विकल्प ताकल जेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments