बिहार मे फिल्म सिटी बनेबा लेल दू टा कंपनी तैयार

पटना। बिहार सरकार राज्य मे सार्वजनिक निजी भागीदारी क तहत फिल्म सिटी क विकास क प्रस्ताव आमंत्रित केलक अछि। विश्व स्तर क फिल्म निर्माण इकाई क निर्माण क लेल चारिटा शहर- बिहटा, गया, हाजीपुर आ राजगीर पहचान कैल गेल अछि।
फिल्म निर्माणक बुनियादी सुविधा क अलावा, फिल्म सिटी मे पर्यटक क लेल होटल, शॉपिंग मॉल आ मनोरंजन पार्क होयत। एहि संबंध मे दू टा कंपनी अर्नेस्ट एंड यंग प्राइवेट लिमिटेड और ग्रांट थ्रोटन क अधिकारी प्रस्तावित फिल्म सिटी परियोजना पर एकटा पावर प्वाइंट प्रस्तुति सरकारक समक्ष देलथि अछि।
्र एहि परियोजनाक नोडल एजेंसी बुनियादी सुविधा विकास प्राधिकरण क प्रबंध निदेशक अनशुली आर्य क मुताबिक, दूनू कंपनी फिल्म सिटी परियोजना क प्रभावशाली प्रस्तुति पेश केलक अछि। एहि परियोजना क वित्तीय बोली एखन नहि खुलल अछि, मुदा आशा अछि जे एहि दूनू मे स ककरो एकर विकास ठेका देल जाइत।
ओ कहला जे राज्य सरकार स्थल कए अंतिम रूप देबा स पहिने एहि प्रस्ताव क व्यवहार्यता क अध्ययन करत। फिल्म सिटी हवाई अड्डे क लग मे हेबाक चाही किया कि इ एकटा नीक संपर्क मार्ग अछि। एकर अलावा, साइट स्थान शूटिंग क लेल प्राकृतिक सौंदर्य स अमीर हेबाक चाही। होटल क निर्माण विश्व स्तर क आवास आदि एहि परियोजना मे पहिने स शामिल अछि।
ओ कहला जे प्रस्तावित फिल्म सिटी क लेल लगभग 100 एकड़ जमीन सरकार पट्टा पर उपलब्ध कराउत। जखन कि फिल्म निर्माण स संबंधित संरचना परियोजना क लेल चयनित कंपनी द्वारा विकसित कैल जाइत । बिहार अधिक स अधिक फिल्म निर्माता कए आकर्षित करबाक लेल इ परियोजना शीघ्र पूरा करय चाहैत अछि। एहि ठाम हाल क वर्र्ष मे भोजपुरी फिल्मक निमार्ण मे काफी बढोतरी देखबा मे आयल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments