बिहार मे प्रतिदिन 10 लाख लीटर दूध क लक्ष्य

पटना। बिहार सरकार क अगिला साल राज्य मे प्रतिदिन 10 लाख लीटर दूध क उत्पादन करबा क योजना अछि। एखन राज्य मे प्रतिदिन साढ़े आठ लाख लीटर दूध उत्पादन होइत अछि। एहि योजना क लेल सरकार पशुपालक कए चारा सेहो उपलब्ध कराउत। राज्य के पशुपालन एवं मत्स्य संसाधन मंत्री रामनारायण मंडल कहला जे चारि वर्ष पूर्व राज्य मे मात्र साढ़े पांच लाख लीटर दूध उत्पादन होइत छल। सरकार क मानब अछि जे कम दूध उत्पादन क कारण अधिकांश लोग एहि रोजगार स नहि जुडि़ पबैत अछि । ओ कहला जे दूध उत्पादन बढ़ेबा लेल पशुपालक कए चारा सेहो देल जाइत। दोस दिस चारा विकास अधिकारी डॉ़ धर्मेन्द्र सिंह कहला अछि जे राज्य मे एक करोड़ 60 लाख गोवंश पशु कए अगर चारा उपलब्ध कराउल जाए त दूध उत्पादन मे पैघ मात्रा मे वृद्घि भ सकैत अछि। एकर मद्देनजर चारा क उत्पादन बढ़ेबा लेल राज्य मे बीज क कुल 82 हजार मिनी कीट पशुपालक मेे वितरित कैल जाइत। ओ कहलथि जे प्रत्येक प्रखंड मे 200 किसान कए इ कीट दैल जाइत

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments