बिहार मे पर्यटन क्षेत्र कए बढ़ेबा लेल जुटलाह 40 विदेशी प्रतिनिधि

पटना। बिहार मे पर्यटन क क्षेत्र मे पूंजी निवेश क सिलसिला मे आधा दर्जन स अधिक देश क लगभग 40टा प्रतिनिधि पटना एलथि अछि। एहि मे कनाडा, थाईलैंड, ऑस्ट्रेलिया, फ्रांस, ब्रिटेन आ लाओस क लोक शामिल छथि। वॉट-लाओ नामक परियोजना क अंतर्गत इ सब बोधगया मे विशाल बौद्ध मंदिर आ विहार क निर्माण करेबा पर विचार करताह। एहि स बिहार मे न केवल पर्यटन कए विस्तार भेटत, बल्कि बौद्ध सर्किट कए सेहो मजबूती भेटत। गौरतलब अछि जे वाशिंगटन क वर्जिनियां मे विशाल बौद्ध विहार अछि, जाहि ठाम काफी संख्या मे बौद्ध धर्मावलंवी जुटैत छथि, जेकर निर्माण लाओस क धर्मावलंवी करौने छथि। ओकरे तर्ज पर बिहार मे सेहो बृहद बौद्ध मंदिर क निर्माण क योजना अछि। इ जानकारी पर्यटन मंत्रालय, भारत सरकार क संयुक्त महानिदेशक संजय श्रीवत्स देलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments