बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा लेल बनत सूफी सर्किट: सुबोध कांत

पटना । केन्द्रीय पर्यटन मंत्री सुबोध कांत सहाय कहला अछि जे बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल सूफी सर्किट बनाउल जाएत। सहाय पर्यटन मंत्रालय दिस स आयोजित एकटा कार्यक्रम मे कहला जे बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल अपार संभावना अछि आओर एकरा देखैत राज्य मे सूफी सर्किट बनेबाक योजना पर काज भ रहल अछि। ओ कहला जे बिहार मे फुलवारीशरीफ, मनेरशरीफ, बिहारशरीफ आ शेरशाह क मकबरा जइसन कईटा पर्यटक स्थल अछि, जाहि ठाम पैघ संख्या मे राज्य क बाहर स पर्यटक अबैत छथि।
केन्द्रीय मंत्री कहला जे एहन स्थल कए पर्यटन क लिहाज स महत्वपूर्ण मानैत बिहार मे सूफी सर्किट बनाकए पर्यटक कए आकर्षित करबाक योजना अछि। ओ कहला जे बिहार विभिन्न धर्मं क जननी रहल अछि आओर बौद्ध आ जैन धर्म क इ उदगम स्थल रहल अछि।
सहाय कहला जे इ खुशीक गप अछि जे बिहार मे विदेशी पाहुनक संख्या लगातार बढ़ि रहल अछि। एहन मे प्रदेश मे नीक स्तर क होटल आ हवाई अड्डा क आवश्यकता अछि, ताकि लोक कए एबा आ घुमबा मे सुविधा हुए। सहाय कहला जे केन्द्र सरकार बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल एखन धरि 23टा परियोजना कए स्वीकृत केलक अछि। ओना ओ राज्य सरकार पर कोनो आरोप नहि लगेलाह मुदा इ कहला जे परियोजना पर काज तेज हेबाक चाही।
केन्द्रीय मंत्री कहला जे बिहार मे सांस्कृतिक आओर ऐतिहासिक महत्व क कईटा एहन स्थल अछि जेकर एखनधरि पहचान नहि भ सकल अछि, एहि दिशा मे काज हेबाक चाही। ओ कहला जे राजधानी पटना क अलावा अन्य शहर मे सेहो नीक स्तर क होटल बनेबाक आवश्यकता अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.