बिहार मे निवेश लेल इच्छुक फ्रांसीसी कंपनी

फेंरच कांसूलेट जनरल केलथि राज्यक विभिन्न इलाका क दौरा
उद्यमी सब कए सस्ता दर पर कर्ज देत फ्रांस क सरकार
अनिता अनत
पटना :
बेहतर शासन-व्यवस्था आ राज्य सरकार द्वारा निवेश लेल कैल जा रहल प्रयास आब रंग देखा रहल अछि। बिहार मे पूंजी निवेश लेल आब उद्यमी क बीच कोनो तरह क किंतु-परंतु क स्थिति नहि रहल। देश क बाहर सेहो बिहार क विकास क चर्च भ रहल अछि। विदेशी कंपनी सेहो आब बिहार मे निवेश लेल इच्छुक देखा रहल अछि। फ्रांस क कईटा पैघ कंपनी राज्य मे बढैत निवेश क अवसर कए भजेबा मे लागल अछि। फें्रच कांसूलेट जनरल फैब्रिस एटीन हाल मे बिहार क विभिन्न इलाका क दौरा केलथि अछि। राज्य मे निवेश लेल संभावना क्षेत्र आ स्थल चयन हुनक कार्यसूची मे छल। एटीन कोलकाता मे एकटा कार्यक्रम क दौरान कहला अछि जे ओ बिहार मे शिक्षा, पर्यटन आ रिटेल ब्रांड मे पूंजी लगेबा लेल अपन देश क उद्योगपति कए सुझाव पठेलहुं अछि। फ्रांस क उद्यमी एहि क्षेत्र मे स्वतंत्र रूप स निवेश क सकैत छथि या फेर राज्य सरकार क संग सहभागी सेहो बनि सकैत छथि। ओ कहला जे बिहार विकास क बाट पर अछि आ एहन मे हुनकर देशक उद्यमी बिहार मे अपन बेहतर भविष्य देख रहल छथि। फ्रांस बिहार मे शहरी विकास, कचरा प्रबंधन, जल प्रबंधन आ ई-रिसोर्सेज सन क्षेत्र मे टका लगेबा लेल तैयार अछि। एकरा लेल फ्रांस क सरकार उद्यमी कए आसान दर पर कर्ज देबा लेल सेहो तैयार अछि।हालांकि कर्ज लेल बिहार सरकार स सेहो अनुरोध कैल गेल अछि। एटीन कहला जे शिक्षा कए पहिल प्राथमिकता देल जा रहल अछि आ संभव अछि जे जल्द शिक्षा क क्षेत्र मे बिहार सरकार संग फ्रांस सहभागी बनए। चाणक्या नेशनल लॉ युनिवर्सिटी (सीएनएलयू) पटना आ युनिवर्सिटी आॅफ टॉल्यूज, फ्रांस क बीच जल्द एकटा एमओयू पर हस्ताक्षर कैल जा सकैत अछि। एटीन कहला जे नेशनल स्कूल आॅफ फैशन डिजाइनिंग (निफ्ट) सेहो फ्रांस क विभिन्न फैशन डिजाइन स्कूल क संग आपसी सहयोग पर गप क रहल अछि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments