बिहार मे निवेश करत गोदरेज एग्रोवेट

कोलकाता। कृषि क्षेत्र क उत्पाद बनेनिहार कंपनी गोदरेज एग्रोवेट लिमिटेड (जीएवीएल) बिहार आ बंगाल मे पशुआहार मिल लगेबा लेल 60 करो़ड टका क निवेश करत। कंपनी क कार्यकारी निदेशक बीएस यादव कहला, बिहार आ बंगाल मे हम 60 करो़ड टकाक लागत स पशुआहार मिल लगा रहल छी। इ मिल एक साल मे तैयार भ जाएत। एकरा लगेबा लेल हमरा लोकनि कए पांच स छह एक़ड जमीन क जरूरत अछि। ओ कहला जे कंपनी लखनऊ आ बनारस मे सेहो पशुआहार मिल लगेबा लेल 40 करो़ड खर्च करि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments