बिहार मे नियुक्‍त हेताह लोकपाल

सुनील कुमार झा

पटना। बिहार सरकार पंचायत स्तर पर लोकपालक नियुक्ति क योजना बना रहल ये जे सरकार क राज काज पर ध्यान देत। ई गप क जानकारी दैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलाह जे पंचायत क केंद्र आ राज्य सरकार स विभिन्न योजना स बहुत टका जाए ये मुदा ओ पाई क उपयोग केना होए ये एकरा लेल मोनिटिरिंग क कुनू व्यवस्था नै ये। ओ कहलखिन जे भ्रष्टाचार विरोधी कानून खालि पैघ शहर टा क लेल नै मुदा ई हरेक गाम आ पंचायत मे हेबाक चाही। हुनकर कहनाय अछि जे भ्रष्‍टाचार खालि बड़का शहर मे होए ये एहन नै ये गाम मे सेहो शहर क भिन्न-भिन्न योजना स ढेर टका आबय ये आ एकरा मे कतेक भष्‍टाचार होए ये तकरा लेल हरेक पंचायत स लए कए जिला स्तर तक एकटा लोकपाल हेबाक चाही। बैठक मे ओ कहलखिन जे बिहार मे वित्तीय लेनदेन क निगरानी क लेल हरेक पंचायत मे मुखिया आ सरकारी प्रतिनिधि क मदद स एकटा लोकपाल क नियुक्ति हेतेय जिनका ई अधिकार होएत जे ओ कुनू  सरकारी कर्मचारी आ जनप्रितिनिधि क खिलाफ याचिका दायर कए सकय ये। आब जखन पूरा देश मे लोकपाल बिल क लेल सरगर्मी क माहौल अछि ओ समय मे  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के ई डेग भ्रष्टाचार कए खत्‍म करबा लेल एकटा पैघ फैसला सेहो अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments