बिहार मे टीवी चैनल खोलताह धोनी

नई दिल्ली । प्रकाश झा क बाद भारतीय क्रिकेट टीम क कप्तान महेंद्र सिंह धोनी बिहार में चैनल खोलबाक सोचि रहल छथि। धोनी कए पूरा विश्वास अछि जे प्रकाश झाक मार्य टीवी क भांति हुनकर चैनल सेहो जनता मे खूब लोकप्रिय होएत। विवाहक झंझबात खत्म भेलाक बाद धोनी अपन एहि प्रोजेक्ट पर गंभीरता स काज शुरू करताह। कहल जा रहल अछि जे एहि प्रोजेक्ट मे धोनी कए हरभजन सिंह सेहो किछु मदद करबा लेल तैयार छथिन, समदिया कए भेटल सूचनाक अनुसार हरभजन एहि चैनल मे टका लगेबा लेल तैयार छथि। उल्लेखनीय अछि जे हरभजन टेलीविजन शो डांस इंडिया डांस क सहायक निर्माता छथि आ शो कए बॉलीवुड क निर्माता-निर्देशक विक्रम भट्ट प्रोड्यूस करि रहल छथि। जानकार क अनुसार धोनी कए सेहो एहि शो स आर्थिक संबध अछि। ओ आओर हरभजन टेलीविजन चौनल स संबंधित विभिन्न अनुभव कए बटोरबा लेल एहन कार्यक्रम स जुड़ला अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments