बिहार मे छहटा घोटालेबाज अफसर बर्खास्त

पटना। बिहार सरकार भ्रष्टाचार क मामला मे राज्य प्रशासनिक सेवा क छहटा अधिकारी कए बर्खास्त करि देलक अछि। एहि मे पांच पर प्रखंड विकास पदाधिकारी क रूप मे तैनाती क दौरान इंदिरा आवास योजना क तहत करोड स बेसी घोटाला क आरोप अछि। मुजफ्फरपुर क भूमि सुधार उप समाहर्ता जियाउद्दीन अहमद पर गलत तरीका स अपन सार क नाम जमीन लिखेबाक मामला चलि रहल अछि। अफसर क बर्खास्तगी क संबंध मे सामान्य प्रशासन विभाग आदेश जारी करि देलक अछि। अररिया जिला मे पलासी क तत्कालीन बीडीओ गयानंद यादव, अशोक कुमार तिवारी, परवेजुल्लाह आ मुहम्मद शमीम अख्तर, अररिया मे सिकटी क तत्कालीन बीडीओ रमेश झा आ मुजफ्फरपुर पूर्वी क तत्कालीन भूमि सुधार उप समाहर्ता जियाउद्दीन अहमद कए सेवा स बर्खास्त करि देल गेल अछि। बीडीओ क रूप मे पोस्टिंग क दौरान इंदिरा आवास क टका राष्ट्रीयकृत बैंक मे रखबाक छल मुदा इ सब पैक्स मे टका राखि कए ओकरा लूटबाक काज केलथि। एकर बाद हिनका सब पर विभागीय कार्यवाही चलल। रमेश झा पर 10.75 करोड़, अशोक कुमार तिवारी पर 1.72 करोड़, परवेजुल्लाह पर 1.75 करोड़, गयानंद यादव पर 2.23 करोड़, मुहम्मद शमीम अख्तर पर 1.42 करोड़ टकाक घोटाला क आरोप अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments