बिहार मे चलत मर्सिडीज बस

पटना। बिहारक सडक पर आब दुनियाक सबस आधुनिक बस चलत। बिहार राज्य् पथ परिवहन निगम सातटा मर्सिडीज बस कीनलक अछि। इ बस पंजाब क लुधियाना मे तैयार भ पटना पहुंच गेल अछि। करीब एक करोड 20 लाख टकाक एकटा बस सबटा आधुनिक सुविधा स भरल अछि। वोल्वोक क बाद बिहार क सडक पर चलै वाला इ दोसर सुविधायुक्तc बस अछि। पथ परिवहन निंगम एखन इ तय नहि केलक अछि जे इ बस कोन रूट पर चलत, मुदा सूत्रक कहब अछि जे इ बस बिहारक मुख्यम पर्यटन स्थ ल जेना नालंदा, गया, राजगीर आदि क संग संग रांची आ पूर्णिया लेल सेहो चलि सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ROAD AA DIVERSION SE AGAR MUKTI BHET JAYE TA EHU SAI BADHIYA SERVICE AAIB SAKAIT AICHH. NITISH JI KE MUKHYAMANTRI BANLA KE SAAT BARAS BAADO DARBHANGA SE PATNA JAYE ME 8 GHANTA LAIG JAAYAT AICHH. GANDHI SETU PAR KARWA ME 2 GHANTA LAIG JAIT AICHH JAKHAIN KI PATH NIRMAN SACHIV KE EIH KAAJ LEL PRADHANMANTRI AWARD BHET GEL. EE KAUN VIDAMBANANA THIK?

Comments are closed.