बिहार मे घुसल छह टा आतंकी


पटना। बिहार क एक टा वरिष्ठ पुलिस अधिकारी एकटा खुलासा करैत कहलथि जे राज्य मे छह टा विदेशी आतंकी घुस गेल अछि। ओ कहलथि जे इ आतंकी नेपाल क सीमा स दाखिल भेल अछि। ओ अधिकारी इहो कहलथि जे इ जानकारी खुफिया सूत्र क हवाले स भेटल। सब टा आतंकी नेपाल क रास्ता अररिया जिला मे दाखिल भेल अछि आ ओ पूरा तरह प्रशिक्षित अछि। एहि रिपोर्ट क बाद स राज्य क सब सीमावर्ती जिला क चौकसी बढ़ा देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments