बिहार मे ग्रामीण सड़क क लेल 1. 20 अरब


पटना। बिहार मे 1. 20 अरब स ग्रामीण सड़क बनाउल जाएत। इ राशि आरआईडीएफ क तहत बिहार ग्रामीण सड़क विकास एजेन्सी (बीआरआरडीए) कए विशेषतौर पर राष्ट्रीय कृषि आ ग्रामीण विकास बैंक (नाबार्ड) स अनुदान सहायता क रूप मे देल गेल अछि। बीआरआरडीए राज्य मे प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क तहत कार्य कए पूरा करनिहार एजेन्सी अछि। प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना देश मे सड़क संपकर्ता मुहैया करेबा लेल केंद्र सरकार द्वारा शत-प्रतिशत प्रायोजित योजना अछि। प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना पूरा देश मे एहन ग्रामीण क्षेत्र मे जतए जनसख्या 500 या ओहि स बेसी अछि आ कम-स-कम 250 क जनसंख्या वाला पहाड़ी , जनजातीय आ मरुस्थलीय क्षेत्र मे सब मौसम क अनुकूल रहैवाला सड़क क लेल सड़क सम्पर्कता मुहैया करबैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.