बिहार मे गहूम क बंपर फसल क उम्मीद


पटना। बिहार क संग धान क फसल जरूर दगाबाजी करि गेल, मुदा भरोस अछि जे गहूम किसानक दुख कए दूर करत। राज्य मे एहि बेर गहूम क बम्पर पैदावार हेबाकउम्मीद अछि। बेहतर फसल क उम्मीद स किसान क संग-संग सरकार क चेहरा पर सेहो लाली अछि। मुजफ्फरपुर क एकटा किसान रामनरेश कहला, ‘एहि बेर काफी नीक फसल हेबाक उम्मीद अछि। गहूम क बाली दाना स भरपूर अछि।’ सीतामढ़ी जिला क किसान जुगत यादव कहैत छथि, ‘एहि बेर हमरा नीक फसल क उम्मीद अछि। दरअसल, नीक ठंड हेबाक कारण स एहि बेर फसल कए विकसित हेबाक पूरा मौका भेटल। मधुबनी क माधव झा कहला,’बीतल साल क मुकाबला मे एहि बेर त हमरा काफी नीक पैदावार क उम्मीद अछि। संग हि, बाजार मे सेहो एहि समय गहूम क दाम नीक भेट रहल अछि। एहिन् बेर मोट मुनाफा पक्का अछि।’
राज्य सरकार सेहो नीक फसल कए देखिकए काफी खुश अछि। कृषि मंत्री रेणु कुमारी कहलीह, हमरा नीक पैदावार हेबाकउम्मीद अछि। एहि उम्मीद क वजह स हम गहूमक उत्पादन क लक्ष्य सेहो बढ़ा देलहूं अछि। मंत्री कहलथि,’आमतौर पर राज्य मे 39.32 लाख टन गहूम क उत्पादन होइत अछि, मुदा एहि साल हम करीब 57 लाख टन उत्पादन क लक्ष्य रखने छी। सूत्र क मुताबिक गहूम क खेती कए बढ़ावा देबा लेल राज्य सरकार आब गहूम सघनीकरण प्रणाली (एसडब्ल्यूआई) जइसन नव तरीका कए अपनेलक अछि। एहि विधि क वजह स गहूम क खेती मे परंपरागत तरीका क मुकाबला मे आधा लागत अबैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments