बिहार मे गठित होएत तकनीकी शिक्षा बोर्ड

पटना। बिहार मे तकनीकी शिक्षा कए बेसी सशक्त आ पारदर्शी बनेबा लेल सूचना आ प्रावैधिकी विभाग राज्य स्तरीय तकनीकी शिक्षा बोर्ड क गठन करत। एकर गठन क प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। ‘स्टेट बोर्ड ऑफ टेक्निकल एजुकेशन’ नाम स गठित भ रहल इ बोर्ड एकटा स्वायत्तशासी संस्थान होएत। विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग बोर्ड गठित करबा लेल विधेयक क प्रारूप आ अन्य अहम पहलु सबहक समीक्षा लेल एकटा कमेटी क गठन सेहो केलक अछि। विभाग क निदेशक क अध्यक्षता मे गठित एहि कमेटी मे उप सचिव, सहायक सचिव समेत अन्य पदाधिकारी कए राखल गेल अछि। इ कमेटी अन्य राज्‍य मे पहिने स गठित एहन टेक्निकल बोर्ड सबहक नियम क अध्ययन क, एहि मे मौजूद नीक आ अहम गप कए ल राज्य लेल नियम तैयार करत। गठित भ रहल टेक्निकल बोर्ड क प्रमुख अध्यक्ष हेताह, जिनका सरकार मनोनीत करत। विभाग क निदेशक सचिव हेताह। एकर अलावा किछु लोक एकर सदस्य बनाउल जेताह। सदस्‍य क संख्या केतबा रहत इ एखन तय नहि भेल अछि। एहि कमेटी क रिपोर्ट एलाक बाद बोर्ड क गठन क फाइल वित्त विभाग मे पठाउल जाएत। एकर बाद एकरा कैबिनेट मे पेश हेबाक संभावना अछि। बोर्ड क अहम काज राज्य मे आयोजित होइवाला पॉलिटेकनिक कॉलेज क परीक्षा लेब आ पॉलिटेकनिक कॉलेज मे चलि रहल विभिन्न ट्रेड क पाठ्यक्रम तैयार करब होएत। सबटा ट्रेड क पाठ्यक्रम मे बदलल समय क अनुसार नव प्रयोग आ जानकारी कए समायोजित करबाक इ काज करत। पाठ्यक्रम कए अपडेट करबाक अलावा रोचक आ जॉब ऑरिएंटेड बनेबा लेल समय-समय पर विश्लेषण करत। बोर्ड क गठन स पॉलिटेकनिक क परीक्षा मे पारदर्शिता बढ़त। पॉलिटेकनिक कॉलेज क गठन आओर बेहतर संचालन स संबंधित महत्वपूर्ण कार्ययोजना तैयार करत। कॉलेज स जुड़ल सब स जरूरी फैसला लेबाक अधिकार बोर्ड लग होएत। दोसर दिस, विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग क निदेशक भगवान सिंह क अनुसार बोर्ड क गठन क कवायद शुरू भ गेल अछि आ इ जल्द आकार ल लेत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments