बिहार मे खेल अकादमी खोलबा लेल धौनी तैयार

पटना । बिहार क्रिकेट एसोसिएशन स रणजी खेलनिहार भारतीय क्रिकेट टीम क कप्तान महेंद्र सिंह धौनी बिहार बिहार मे खेल प्रशिक्षण अकादमी खोलबाक इच्छा व्यक्त केलथि अछि। एहि संबंध मे ओ सरकार कए पत्र सेहो लिखलथि अछि। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी एहि पत्र क संबंध मे कहला अछि जे पत्र कए उचित कार्रवाई लेल राज्य क खेल विभाग कए पठा देल गेल अछि। एहि पत्र मे धौनी मुख्‍य रूप स खेल प्रशिक्षण अकादमी लेल जमीन उपलब्ध करेबाक सरकार स अनुरोध केलथि अछि।
माही क एहि पत्र कए विभाग मे हेबाक पुष्टि करैत कला, संस्कृति आ युवा मामला क मंत्री सुखदा पांडेय कहलथि अछि जे भारतीय क्रिकेट कप्तान द्वारा उपमुख्यमंत्री कए लिखल गेल पत्र हुनकर विभाग लग अछि। पत्र मे राज्य मे खेल प्रशिक्षण अकादमी खोलबाक इच्छा व्यक्त कैल गेल अछि। जेकरा लेल ओ राज्य सरकार स जमीन उपलब्ध करेबाक अनुरोध केलथि अछि। ओ कहलथि जे पत्र मे जमीन मुख्‍य मसला देखा रहल अछि किया कि माही कोन प्रकारक खेल प्रशिक्षण अकादमी खोलबाक इच्‍छा रखैत छथि तेकर कोनो जिक्र नहीं अछि। एहि पत्र मे हुनकर विस्तृत योजना की अछि एकर अभाव अछि। सुखदा पांडेय कहलथि जे एकर बावजूद सरकार हुनकर प्रस्‍ताव पर गंभीर अछि आ शीघ्र हुनका स एकर विस्तृत योजना क प्रस्ताव मांगत। विस्तृत योजना भेटलाक बाद एहि मामला कए मुख्यमंत्री क समझ राखल जाएत। खेल मंत्री कहलथि जे एहन अकादमी लेल राज्‍य सरकार पहिने स काज कए रहल अछि आ मुख्यमंत्री एकटा खेल प्रशिक्षण अकादमी बनेबाक पहिने घोषणा करि चुकल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments