बिहार मे खुलत भारत-इजरायल कृषि केंद्र

0
2
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली। बिहार मे दू ठाम भारत-इजरायल कृषि केंद्र क स्थापना भ सकैत अछि। इजरायल दूतावास स जारी एकटा बयान मे कहल गेल अछि जे इजरायल कृषि विकास लेल बिहार संग काज करबाक इच्‍छुक अछि। एहि संबंध मे इजरायल क राजदूत एलेन उश्पिज आ बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच पटना मे लगभग एक घंटा तक चर्चा भेल। एहि बैसार मे तय भेल अछि जे इजरायल बिहार मे कृषि विकास लेल आधुनिक तकनीक क जानकारी मुहैया कराउत। दूनू सरकार मिल कए राज्‍य मे दूटा कर्षि केंद्र क स्‍थापना करत जे फल आ तरकारी क खेती पर बेसी स बेसी ध्यान देत।
एहि बैसार मे जल प्रसंस्करण, मत्स्य पालन, दुग्ध उद्योग, खाद्यान्न भंडारण आ सौर ऊर्जा सन क्षेत्र मे सहयोग पर सेहो विचार विमर्श भेल। उश्पिज नीतीश कुमार कए इजरायल एबा लेल सेहो आमंत्रित केलथि। राजदूत कहला जे बेशक इजरायल आ बिहार क बीच सहयोग क काफी सम्भावना अछि। हमरा उम्मीद अछि जे अगिला किछु मास मे हम फल, तरकारी, दुग्घ, अनाज भंडारण आ जलक क्षेत्र मे इजरायल क प्रौद्योगिकी कए बिहार क कृषि क्षमता स मिला सकैत छी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page