बिहार मे खुलत पौने 11 हजार आर आंगनबाड़ी केंद्र

पटना । केंद्र सरकार बिहार मे दस हजार आठ सौ अस्सीटा नव आंगनबाड़ी केंद्र खोलबाक स्वीकृति द देलक अछि । एखन राज्य मे कुल 8 हजार 797 आंगनबाड़ी केन्द्र अछि। केंद्र क एहि फैसला स इ उम्मीद कैल जा रहल अछि जे बच्चा मे बढि रहल कुपोषण मे आब कमी आनल जा सकत । भारत सरकार आहि राज्य कए खास तौर पर चिन्हित केलक अछि जाहि ठाम क बच्चा मे बेसी कुपोषण पाउल गेल अछि । बिहार मे 50 प्रतिशत बच्चा क मौत क वजह कुपोषण मानल जा रहल अछि जखकि 98 प्रतिशत बच्चा कुपोषित अछि। एनएफएचएस-३ क आंकडा क अनुसार लगभग 47 प्रतिशत बच्चा कम वजन वाला अछि । समाज कल्याण मंत्री प्रवीण अमानुल्ला कहलीह अछि जे नव आंगनबाड़ी केंद्र स कुपोषण कए दूर करबा मे मदद भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments