बिहार मे खुलत दूटा आओर केंद्रीय विश्वविद्यालय

पटना । केंद्र सरकार बिहार मे दूटा आओर केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलबा पर विचार क रहल अछि। केंद्रीय वित्त मंत्री अरुण जेटली संसद मे कहला अछि जे नालंदा जेका विक्रमशिला में सेहो केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलल जायत। संगहि एकटा आओर केंद्रीय स्तरक स्कील डेवलपमेंट यूनिवर्सिटी बिहार मे खोलबाक घोषणा केलथि । एहि घोषणा स ऐतिहासिक धरोहर क विकास होएत संगहि विक्रमशिला मे एक बेर फेर स पठन-पाठन क गतिविधि प्रारंभ होएत। जेटली राज्यसभा मे सांसद भूपेंद्र यादव (बिहार भाजपा प्रभारी) क सवाल पर इ घोषणा केलथि । एकर अलावा स्कील डेवलपमेंट क लेल सेहो संस्थान खोलबाक घोषणा कैल गेल अछि। एकरा लेल गत माह लघु उद्योग राज्य मंत्री गिरिराज सिंह सेहो वादा केने छलाह।

भाजपा प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन विक्रमशिला कए फेर स जीवित करबा लेल कई साल स प्रयासरत छलाह। मुदा हुनकर गुहार संप्रग सरकार नहि सुनलक। शाहनवाज हुसैन एहि घोषणा लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ वित्त मंत्री अरुण जेटली क प्रति आभार व्यक्त केलथि अछि संगहि श्री यादव कए बधाई देलथि अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments