बिहार मे खुलत तीनटा नव मेडिकल कॉलेज

समस्तीपुर, पूर्णिया आ छपरा कए भेटल सनेस अमेटी खोलत बिहटा मे निजी यूनिवर्सिटी

पटना। राज्य सरकार दीपावली आ काली पूजा क मौका पर राज्य क छात्र लोकनि कए कईटा नव संस्थान क सनेस देलक अछि। निजी विश्वविद्यालय आ मेडिकल कॉलेज लेल सरकार आइ मंजूरी द देलक। बुधदिन राज्य कैबिनेट क भेल बैसार मे कुल 27टा प्रस्ताव कए मंजूरी देल गेल। सरकार सारण (छपरा), समस्तीपुर आ पूर्णिया जिला मे नव मेडिकल कॉलेज खोलबा क मंजूरी द देलक। एहि मेडिकल कॉलेज क निर्माण 12वीं पंचवर्षीय योजना क तहत कैल जायत। एकर निर्माण क लेल केंद्र सरकार क संग मेमोरंडम आफ अंडरस्टैंडिंग पर हस्ताक्षर कैल जाएत। प्रस्ताव क अनुसार निर्माण मे 75 फीसदी राशि केंद्र देत, बाकी 25 फीसदी राज्य स होएत। एकर अलावा राज्य क पहिल निजी विश्वविद्यालय क स्थाापना लेल सरकार आखिरकार अमीटी कए आशय पत्र निर्गत करेबाक मंजूरी द देलक अछि। पटना जिला क बिहटा मे अमीटी निजी क्षेत्र क पहिल विश्व विद्यालय खोलत। बिहार मे उच्च शिक्षा क क्षेत्र मे एकरा क्रांतिकारी बदलाव क रूप मे देखल जा रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments