बिहार मे खुलत झारखंड क गोलमाल!

Enos Ekka
पटना । कतेक अजीब गप अछि। जहि बिहार स अलग भेला पर झारखंड लोक इ कहैत नहि थकैत छल जे आब घोटाला आ गोलमारक कलंक स हम मुक्त भ गेलहूं, ओहि झारखंडक गोलमालक खुलासा बिहार मे हुए जा रहल अछि। एहन पहिल बेर भ रहल अछि जे कोनो राज्यक घपला कोनो आन राज्य क जमीन पर खुलत। प्रवर्तन निदेशालय झारखंड मे मंत्री रहल एनोस एक्का आ हरिनारायण राय कए पूछताछ क लेल पटना अनलक अछि। दूनू पर आय स अधिक संपत्ति अर्जित करबाक आ हवाला क जरिए निवेश करबाक आरोप अछि । इ आरोप झारखंडक धरती पर भेल चारा घोटलाक बाद लालू प्रसाद पर लागल आरोप स कहीं बेसी गंभीर आ पैघ अछि। निदेशालय लग एहि दूनू नेता स पूछबा लेल सवाल क लंबा फेहरिस्त अछि। सबटा सवाल कमोवेश एकहि मकसद स जुड़ल अछि-दूनू क नामी-बेनामी संपत्ति क बारे मे जानकारी या खुलासा। हालांकि झारखंड क विजिलेंस ब्यूरो एहि संबंध मे काफी किछु स्पष्ट करि चुकल अछि। ब्यूरो क दस्तावेज क अनुसार, एनोस 6.50 करोड़ आ हरिनारायण नारायण 2.50 करोड़ से बेसी क संपत्ति अर्जित कैलथि अछि। ओना जानकारक कहब अछि जे दूनू नेता एहि स काफी बेसी संपत्ति क मालिक छथि। ध्यान रहय जे झारखंड क पूर्व मुख्यमंत्री मधु कोड़ा पर सेहो एहने जांच चलि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments